वेदांत ग्रंथ मे सँ रामगीता एक अद्भुत रत्न अछि जेकरा जानि लेला सँ लोकनि केर योग, आत्मज्ञान, कर्म उपासना ज्ञान आदि कतेको विषय सरल रीति सँ ध्यान मे आवि जायत अछि आ तुरतहि आनंदक अनुभूति भs जायत अछि । एहि गीता मे मानव जीवनक कोनो भाग नहि छुटल अछि । ओना तs कतेको मनीषी लोकनिकक लेखनी सँ रामगीता निःसृत भेल अछि; मुदा प्रस्तुत पोथी मे तीन रामगीताक संकलन कएल गेल अछि ।
पहिल रामगीता महर्षि वशिष्ठ कृत तत्त्वसारायणक उपासना काण्ड सँ लेल गेल अछि । एहि मे श्रीमद्भगवद्गीता जकाँ अठारह टा अध्याय अछि । एहि गीता मे भगवान राम हनुमानजी कें उपदेश देलनि अछि । एहि गीता मे वेदक आ उपनिषदक वर्णन नीक सँ कएल गेल अछि । प्रारब्धयुक्त जीवनमुक्त आ प्रारब्धरहित विदेहमुक्तक सटीक व्याख्या कएल गेल अछि । वासनाक्षय मनोनाश आ सप्तभूमिक प्रकृति पर विचार कएल गेल अछि । तारक प्रणवक मात्राक भेदक निरूपण कएल गेल अछि । मूलाधार आदि नवचक्रक विवेचन कएल गेल अछि । अणिमादि आठू सिद्धिक हेयता, विद्यासंततिक विज्ञान आ गुरु सम्बन्धी तत्त्वक समीचीन विश्लेषण कएल गेल अछि । संचित कर्मक विभाग व कर्मी, भक्त, ज्ञानी आ योगी लोकनिकक गुणत्रयानुसार विभागक निरूपण कएल गेल अछि । एहि प्रकार गीतारूपी महाशास्त्र मे समस्त वेदांतकक रहस्य गर्भित अछि ।
दोसर रामगीता स्कंदमहापुराण सँ लेल गेल अछि । एहि मे तीन टा अध्याय अछि । राक्षसराज रावणक मरलाक बाद श्रीरामचंद्रजी विकराल रूप धारण कs लेने छलाह तहन ब्रह्मा, विष्णु, महेश, इंद्र आदि देवता आ ऋषि लोकनि श्रीरामचंद्रजीक स्तुति कs हुनका शान्त केलनि । एहि गीता मे उक्त देवगण सँ कएल गेल स्तुति अछि ।
तेसर रामगीता अध्यात्म रामायण सँ लेल गेल अछि । जाहि मे श्रीरामचंद्रजी लक्ष्मणजी के उपदेश देलनि अछि ।
श्रीमद्रामगीता (SHRIMADRAMGITA)
Estimated delivery dates: Mar 26, 2026 - Mar 31, 2026
₹299.00
नाम - परमानन्द , पिताक नाम - स्वo परशुराम लाल माताक नाम - स्वo उषा देवी गाम - घोघसर पोस्ट-बिरौल, ज़िला -दरभंगाक स्थायी निवासी छथि। वर्तमान पता -मुज़फ़्फ़रपुर , बिहार अछि । ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा सँ स्नातकोत्तर डिग्री प्राप्त केने छथि। सेंट्रल बैंक आफ इंडिया सँ प्रबंधक पद सँ सेवानिवृतिक उपरांत मिथिलाक्षर/तिरहुता मे अपन योगदान दs रहल छथि । हनुमत्स्त्वन आ श्रीमद्भगवद्गीता नाम सँ तिरहुता मे पोथी सेहो प्रकाशित भेल अछि।
People Also Viewed
Description
Additional Information
| Weight | 0.65 kg |
|---|---|
| Dimensions | 21.6 × 14 × 3.2 cm |
| Binding Type | Paperback |
| Languages | |
| Publishers |
Reviews
Only logged in customers who have purchased this product may leave a review.


Reviews
There are no reviews yet.