प्रस्तुत पोथी श्रीमद्भगवद्गीता मे 701 श्लोक अछि । ओना तS साधारणतया गीता मे 700 श्लोक अछि, मुदा सनातन धर्म ग्रंथालय,मुरादाबाद सँ 1917 मे प्रकाशित पुस्तक महाभारत कें भीष्म पर्व मे शलोकक संख्या 701 अछि । महाभारतक 18 पर्व मे सँ छठम पर्व भीष्म पर्व मे अध्याय 25 सँ लs कें अध्याय 42 धरि श्रीमद्भगवद्गीताक वर्णन अछि । जेकरा तीन खण्ड मे बाँटल जा सकैत अछि । प्रथम खण्डक 6 अध्याय मे कर्मयोगक आ ज्ञानक विस्तृत वर्णन अछि, एहि खण्ड मे ज्ञानयोगक वर्णन अछि परमात्माक पूजन स्थली हृदय अछि जाहि मे ध्यान, श्वास-प्रश्वास, चिंतन आदिक क्रिया एकांत मे बैसि के कएल जा सकैत अछि तकर स्पष्ट विवरण अछि, दोसर खण्डक 6 अध्याय मे भक्तिक महिमा आ ओकर पोषितक वर्णन अछि । एहि खण्ड मे बाह्य देवताक अस्तित्वहीनता स्पष्ट भs जायत अछि आ भगवानक ऐश्वर्य दिस ध्यान केंद्रित करैत अछि । तेसर खण्डक 6 अध्याय मे तत्त्व ज्ञानक व्याख्या कएल गेल अछि। प्रकृति सँ उत्पन्न सत्व गुण ,रजो गुण आ तमो गुणक विस्तृत उल्लेख अछि । अंतिम मे एहि वातक स्पष्ट उल्लेख अछि जे ई शरीर एक क्षेत्र अछि जाहि में नीक आ अधलाह बीज संस्कार रूप मे उगैत अछि। गीता सार्वलौकिक, सार्वकालिक धर्मग्रंथ अछि । भगवद्गीता अज्ञानताक अंधकार कें विनाश कs ज्ञान रूपी प्रकाशक विस्तार करैत अछि । भगवद्गीता कें योग शास्त्रक संज्ञा सेहो देल गेल अछि ।
श्रीमद्भगवद्गीता (SHRIMADBHAGAVADGITA)
Estimated delivery dates: Mar 21, 2026 - Mar 26, 2026
₹145.00 Save:₹5.00(3%)
नाम - परमानन्द , पिताक नाम - स्वo परशुराम लाल माताक नाम - स्वo उषा देवी गाम - घोघसर पोस्ट-बिरौल, ज़िला - दरभंगाक स्थायी निवासी छथि। वर्तमान पता -मुज़फ़्फ़रपुर , बिहार अछि । ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा सँ स्नातकोत्तर डिग्री प्राप्त केने छथि । सेंट्रल बैंक आफ इंडिया सँ प्रबंधक पद सँ सेवानिवृतिक उपरांत मिथिलाक्षर मे अपन योगदान दs रहल छथि । मैथिली पाक्षिक पत्रिका विदेहक कतेको अंक मे मिथिलाक्षर मे लिप्यांतरित आध्यात्मिक कथा प्रकाशित भेल अछि । अखनो प्रकाशित भs रहल अछि । हनुमत्स्त्वन नाम सँ एकटा पोथी सेहो प्रकाशित भेल अछि।
People Also Viewed
Description
Additional Information
| Weight | 0.28 kg |
|---|---|
| Dimensions | 21.56 × 13.48 × 1.4 cm |
| Binding Type | Paperback |
| Publishers |
Reviews
Only logged in customers who have purchased this product may leave a review.


Reviews
There are no reviews yet.